केन्द्र शासित प्रदेश

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
(भारतक सङ्घ राज्यक्षेत्रसँ पुनर्निर्देशित)
भारतक केन्द्र शासित प्रदेश

केन्द्र शासित प्रदेश या सङ्घ राज्य क्षेत्र या सङ्घक्षेत्र भारतक सङ्घीय प्रशासनिक ढाँचाक एक उप-राष्ट्रिय प्रशासनिक एकाई छी। भारतक राज्यसभक अपन चुनल सरकारसभ होएत अछि, मुदा केन्द्र शासित प्रदेशसभमे सीधे-सीधे भारत सरकारक शासन होएत अछि। भारतक राष्ट्रपति हर केन्द्र शासित प्रदेशक एक सरकारी प्रशासक या उप राज्यपाल नामाङ्कित करैत अछि।[१]

भारतमे एखन धरि सात केन्द्र शासित प्रदेश अछि।[२] भारतक राजधानी नयाँ दिल्ली जे कि दिल्ली नामक केन्द्र शासित प्रदेश सेहो छल आ पुदुचेरीकें आंशिक राज्यक दर्जा दऽ देल गेल अछि। दिल्लीकें राष्ट्रिय राजधानी प्रदेशक तौर पर पुनः परिभाषित कएल गेल अछि। दिल्ली आ पुदुचेरी दुनू प्रदेशकें अपन चयनित विधानसभा, मन्त्रीमण्डल आ कार्यपालिका अछि, मुदा एकर शक्तिसभ सीमित अछि। एकर विधानसभाद्वारा पास कएल गेल कानून भारतक राष्ट्रपतिकें विचार आ स्वीकृति भेट गेलाक बाद मात्रे लागू भऽ सकैत अछि।

भारतमे वर्तमानमे ई केन्द्र शासित क्षेत्र अछि:

ई भारतक राष्ट्रिय राजधानी प्रदेश छी:

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. केन्द्र शासित प्रदेश सङ्ग्रहित २००९-०८-१५ वेब्याक मेसिन भारतक राष्ट्रिय पोर्टलपर।
  2. केन्द्र शासित प्रदेश भारतीय गृह मन्त्रालय