छवि राजावत

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
छवि राजावत
Chhavi Rajawat
विश्व आर्थिक मञ्च भारत, २०१२ मे छवि रजावत
जन्म१९८-१ (उमर ४३–४४)
राष्ट्रियताभारतीय
मातृसंस्थाऋषि वैली स्कूल, मेयो कलेज गर्ल्स स्कूल-अजमेर, लेडी श्रीराम कलेज-दिल्ली, इन्डियन इन्स्टिच्युट अफ माडर्न म्यानेजमेन्ट-पुणे,
व्यवसायसरपञ्च


छवि राजावत (जन्म: १९८०) जयपुर सँ ६० किलोमिटर (३७ माइल) दूर टोक जिलाक छोट गाम सोड़ाक सरपञ्च छी । ओ भारतक सभसँ कम उमरक आ शायद एकमात्र एमबीए सरपञ्च छी ।[१] ओ नवम्बर २०१३ मे स्थापित भारतीय महिला बैङ्क कें एक निर्देशक (डायरेक्टर) सेहो छी ।[२]

प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]

छवि रजावतक जनम राजस्थानक राजधानी जयपुर मे भेल, मुदा ओ राजस्थान कें टोक जिला अन्तर्गत मालपुरा तहसीलक एक छोट गाम सोड़ाक रह्निहार छी । हिनकर प्रारम्भिक शिक्षा ऋषि भ्याली स्कूल (आन्ध्र प्रदेश) आ मेयो कलेज गर्ल्स स्कूल,अजमेर मे भेल । ओकर बाद दिल्ली विश्वविद्यालयक लेडी श्री राम कलेज सँ ओ स्नातक कएलक आ पुणेक इन्डियन इन्स्टिच्युट अफ मोडर्न म्यानेजमेन्ट सँ एमबीएक डिग्री प्राप्त केनए अछि ।

व्यक्तिगत जीवन[सम्पादन करी]

छवि रजावत अपन गाम सोड़ा आ जयपुर मे लगभग निरन्तर रुपसँ अपन माता -पिता कें सङ्ग समय बिताबैत अछि । ओ किसानसभकें बच्चासभक सङ्ग खेलैत-धुपैत पैग भेल अछि । ओ ग्रामीणसभक समस्यासभकें दूर करबाकक लेल हुनकासभक सङ्ग प्रतिदिन घन्टो समय बिताबैत अछि । सरपञ्च बनऽक पाछा हिनकर भावना अपन गामक लेल काम करबाक रहल अछि । छवि कहैत अछि कि "हमर दादाजी ब्रिगेडियर रघुबीर सिंह लगातार तीन बेर सोड़ा सँ सरपञ्च चुनल गेल छल, आ हिनकर इच्छा छल कि हमहुँ हुनकरे पदचिन्ह् पर चली ।" छविक कहनाए अछि कि हमर राजनीतिमे जेबाक कोनो मनशाय नै अछि अओर ओ अपन गामक लोकसभक मदति करऽक लेल चाहैत अछि । बेङ्गलोरक ऋषि भ्याली आ दिल्लीक लेडी श्री राम कलेजक पूर्व छात्रा छवि द्वारा पुणे सँ व्यवसाय प्रबन्धनक डिग्री प्राप्त कएल गेल छे मुदा एकर बाद सेहो हिनका शहरसभक तेज जिन्दगीक याद नै सताबैत अछि ।[३]

करियर[सम्पादन करी]

पुणेक इन्डियन इन्स्टिच्युट अफ मोडर्न म्यानेजमेन्ट सँ एमबीएक डिग्री प्राप्त केनिहार छवि बहुतो नामी कर्पोरेट कम्पनिसभ मे काम करि चुकल अछि । छवि चकाचौन्ध भरल जिन्दगीक साथ छोड़ि गामक माटि सँ जुड़ल रहिक निश्चय कएलक आ एकर लेल सरपञ्चक चुनाव लड़बाक फैसला कएलक । ४ फरवरी २०११ कें छवि द्वारा अपन निकटतम प्रतिद्वन्दी कें रेकर्ड १२०० मतसँ पाराजित करि सरपञ्च चुनाव मे जीत हासिल कएलक । चुनाव जीतलाक बाद छवि द्वारा कहल गेल की ‘हम गाम मे सेवा करबाक उद्देश्य सँ आएल छी' । ओ अपन गाममे वाटर हार्वेस्टिङ्ग कार्यक्रम चलाए रहल अछि । साथे महात्मा गान्धी राष्ट्रीय ग्रामीण रोजगार ग्यारेन्टी योजनाक अनुसार चलाएल जा रहल अछि सभ योजनासभ पर पहिल नजर राखैत अछि आ सक्रिय भूमिका निर्वाह करैत अछि । एखन वर्तमानमे यूएनओक दिस सँ आयोजित एक कार्यक्रम मे छवि द्वारा भाग लऽ गामक प्रगतिकें विवरण पेश कएने छल ।[४][५] नवम्बर २०१३ मे नवस्थापित भारतीय महिला बैङ्कक निर्देशक मण्डल मे हिनकर नियुक्ति कएल गेल ।

सम्मान[सम्पादन करी]

  • वर्ष-२०११ मे छवि द्वारा संयुक्त राष्ट्र सङ्घ मे आयोजित ११हम इन्फो पोभर्टी विश्व सम्मेलनमे दुनिया भरि सँ मन्त्रिसभ आ राजदूतसभक सम्बोधित कएने छल ।[६]
  • मई -२०११ मे पूर्व राष्ट्रपती [अब्दुल कलाम]] द्वारा नयाँ दिल्ली मे प्रौद्योगिकी दिवस समारोह मे छवि कें सम्मानित कएल गेल । एहि अवसर पर विज्ञान आ प्रौद्योगिकी तथा पृथ्वी विज्ञान मन्त्री पवन बंसल सेहो उपस्थित छल ।[७]
  • भारतीय युवा नेत्रीक उपाधि : देश कें दिशा देनिहार आठ भारतीय युवा नेतासभमे सँ एक होमएक गौरव ।[८]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "यह सुपर मॉडल नहीं, भारतीय सरपंच है"। नवभारत टाईम्स।
  2. "पहला भारतीय महिला बैंक: 'सेविंग पर देगें ज्यादा ब्याज'"मूलसँ 2019-03-22 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-22 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  3. देशबंधु: सरपंच बनी 'छवि' को राजनीति से है परहेज
  4. लाइव हिंदुस्तान डॉट कॉम: छवि रजावत (लेडी श्रीराम कॉलेज)
  5. "LSR Grad quits job to be Sarpanch"News Daily। द टाइम्स अफ इण्डिया। २०१०-०३-०८। अन्तिम पहुँच 2013-10-26
  6. "Indian Sarpanch dazzles at UN Meet"News Daily। Mumbai Mirror। 2011-03-28। अन्तिम पहुँच 2013-10-26
  7. "Former President APJ Abdul Kalam honours Chhavi Rajawat"। Outlook। 2011-05-11। मूलसँ 2013-10-29 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2013-10-26 {{cite news}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  8. "Young Indian Leader"। IBNLive। 2010। मूलसँ 2013-12-07 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-22 {{cite news}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)